खाद्य प्रसंस्करण कए भेटल सब्सिडी

पटना । बिहार मे खाद्य प्रसंस्करण क्षेत्र मे निवेश करनिहार चेहरा पर मुस्कराहट अछि। दरअसल, राज्य सरकार क दिस स अनुदान क पहली किस्त भेट गेल अछि। इ निवेशक क लेल एकटा पैघ राहत क रूप मे देखल जा रहल अछि। राज्य क खाद्य प्रसंस्करण क्षेत्र क निदेशक पीके झा कहलथि जे एखन धरि हम 12 टा निवेशक कए अनुदान क पहिल किस्त द चुकल छी। बाकी बचल निवेशक कए सेहो सरकार जल्दी टका द दैत। एहि साल जनवरी मे बिहार सरकार कुल मिलाकए 22 निवेशक क संग समझौते पर दस्तखत केलक अछि। बिहार सरकार क 2006 मे लागू भेल नव औद्योगिक नीति आ खाद्य प्रसंस्करण नीति क तहत परियोजना पर आबैवाला कुल लागत क 35 फीसदी सरकार कए सब्सिडी क रूप मे देबाक अछि। एकर अलावा, 40 फीसदी बैंक कए ऋण क रूप मे आ बाकी बचल 25 फीसदी रकम निवेशक कए खुद लगेबाक अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments