खत्म भेल गैर-शिक्षण कर्मचारीक हडताल

पटना। बिहार मे गैर-शिक्षण कर्मचारी क ह़डताल समाप्त भ गेलाक बाद राज्य क करीब 246 महाविद्याल मे पिछला 50 दिन स रूकल कामकाज सामान्य भ गेल। राज्य विश्वविद्यालय आ महाविद्यालय कर्मचारी संघ क संयुक्त मंत्री राम शंकर मेहता कहला जे विश्वविद्यालय आओर महाविद्यालय मे कार्यरत सबटा गैर-शिक्षण कर्मचारी काज पर लौट आएलाह अछि। जे कर्मचारी कोनो कारणवश काज पर नहि लौटलाह अछि ओ सेहो एक-दू दिन क भीतर काज पर लौट आउताह। शिक्षा विभाग क प्रधान सचिव अंजनी कुमार सिंह आ कर्मचारी महासंघ क बीच भेल वार्ता क बाद 18टा बिन्दु पर सहमति बनल अछि जेकर बाद कर्मचारी संघ 50 दिन स जारी ह़डताल कए समाप्त करबाक घोषणा केलक। प्रधान सचिव सिंह कहला जे कर्मचारी काज पर लौटलाह आ हुनकर निलंबन रद्द करि देल गेल।
उल्लेखनीय अछि जे ह़डताल समाप्त करेबा लेल राज्य क कईटा छात्र संगठन सेहो सरकार पर दबाव बनेने छल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments