खगड़िया क मंडल सेतु कखनो भ सकैत अछि चालू

खगड़िया । खगड़िया मे चारि अक्टूबर क बाद कखनो बीपी मंडल सेतु पर परिचालन आरंभ भ सकैत अछि। इ स्थिति गत 15 सितंबर स एक्सपेंशन गैप यथावत रहबा आ नदी क जलस्तर मे गिरावट एलाक स उत्पन्न भेल अछि। संकेत भेट रहल अछि जे सेतु पर पाया नंबर 14 स 19 तक ईट स डिवाइडर ठार कैल गेल अछि ताकि वन वे परिचालन भ सकै। एहि संबंध मे एनएच क कार्यपालक अभियंता गोपाल प्रसाद सिंह कहला जे एक्सपेंशन गैप क बढ़ोतरी नियंत्रण मे अछि आ नदी क जलस्तर मे सेहो कमी आएल अछि जाहि स वन वे परिचालन क उम्मीद जगल अछि। ओ कहला जे उच्चाधिकारी क निरीक्षण क बाद हुनकर द्वारा निर्देश भेटलाक उपरांत परिचालन आरंभ भ जाएत मुदा विभागीय सूत्र स भेटल जानकारी क अनुसार, 4-5 अक्टूबर कए एनएच क मुख्य अभियंता, पथ निर्माण विभाग क अभियंता प्रमुख समेत अन्य उच्चाधिकारी द्वारा सेतु क निरीक्षण कैल जाएत। तत्पश्चात परिचालन क अनुमति भेटत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments