खगडिय़ा मे लागत फूड पार्क : तारिक

समस्तीपुर । केन्द्रीय कृषि आ खाद्य प्रसंस्करण उद्योग राज्य मंत्री तारिक अनवर कहला अछि जे भागलपुर आ खगडिय़ा मे फूड पार्क बनाउल जाएत। अनवर कहला जे पार्क क निर्माण मे 150 स 200 करोड़ टका निवेश होएत। ओ कहला जे एहि पार्क मे किसान कए सबटा सुविधा प्रदान कैल जाएत ताकि हुनकर उत्पाद क सही विपणन भ सकए। अनवर कहला जे बिहार मे फूड प्रोसेसिंग क क्षेत्र मे अपार संभावना अछि। ताहि लेल बिहार सरकार कए एहि पर विशेष ध्यान देबाक चाही। ओ कहला जे वर्तमान मे निजी भागीदारी स राज्य क मुजफ्फरपुर आ हाजीपुर समेत कई स्थान पर फूड प्रोसेसिंग यूनिट लगाउल जा रहल अछि। एहि यूनिट सब कए पूरा भेला पर जे अनाज बर्बाद भ रहल छल ओकरा बचाउल जा सकत।
ओ कहला जे विश्व मे भारत दूध उत्पादन क क्षेत्र मे दोसर स्थान रखैत अछि। बिहार क बंटबारा क बाद शेष हिस्‍सा मे कृषि विकास क मुख्य स्रोत भ गेल अछि ताहि लेल कृषि आधारित उद्योग लगेबा पर विचार भ रहल अछि एकरा लेल केन्द्र हरसंभव मदद करबा लेल तैयार अछि। खाद्य सुरक्षा विधेयक पर अनवर कहला जे हुनकर सरकार विधेयक कए संसद क एहि सत्र मे आनत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments