कोसी पुल स गुजरत वाल्‍बो

उदय चटर्जी
पटना।
बिहार राज्‍य पथ परिवहन निगम मिथिलाक लोक कए एक संग दूटा सनेस देबा लेल तैयार अछि। पहिल सनेस इ जे अत्‍याधुनिक सुविधा स सजल वाल्‍वो बस क परिचालन एहि मास स शुरू भ जाएत। दोसर इ जे दू भाग मे बंटल मिथिला कए एक करनिहार कोसी महासेतु स निगम अपन सेवा वाल्‍बो क माध्‍यम स शुरू करत। निगम क प्रस्‍तावित बस मार्ग मे दरभंगा जिला कए सब स बेसी फज्ञयदा भेल अछि। एहि जिला द कए सब स बेसी वाल्‍बो गुजरत। प्राइज़ सूचनाक अनुसार निगम जाहि मार्ग पर इ सेवा द रहल अछि ओकर सूची मे दरभंगा कई बेर आयल अछि। सूचीक अनुसार मुजफफरपुर आ पूर्णिया क बीच कुल 10टा वोल्‍बो चलत जे दरभंगा भकए जायत। एहिना मोतिहारी आ पूर्णिया सेवा मे सेहो 10टा बस देल गेल अछि जे भाया दरभंगा चलत। दरभंगा स पूर्णिया लेल सेहो 10टा बस देल गेल अछि। एतबे नहि 20टा वोल्‍बो पटना स पूर्णिया क बीच देल गेल अछि जे दरभंगा भ कए जायत। दोसर दिस पटना स जयनगर लेल 10टा आ पटना स मधुबनी लेल सेहो 10टा वोल्‍बो देल गेल अछि जे भाया दरभंगा चलत। पटना आ दरभंगा क बीच सबस बेसी 30टा वोल्‍बो चलत। एकर अलावा मुजफफरपुर स मधुबनी लेल 15टा बस देल गेल अछि जे दरभंगा भ कए जायत। ओना मुजफफरपुर स दरभंगा लेल सेहो 10टा बस देल गेल अछि। कुल मिला कए देखल जाए त दरभंगा कए कुल 125टा वोल्‍बो बस भेट गेल अछि। उम्‍मीद कैल जाए जे एहि बस सेवा क लोक आनंद लेत आ बिहार राज्‍य पथ परिवहन निगम सेहो बिहार राज्‍य पुल निगम जेकां अपन घाटा कए बिसरी फायदाक पायदान पर एक क बाद एक आगू बढैत जाए।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.