कोसी पुनर्निर्माण मे विश्व बैंक देत 800 करोड़

पटना। कोसी क बाढ़ प्रभावित इलाक मे विश्व बैंक क मदद स पुनर्निर्माण क गप आगू बढ़ल अछि। पहिल चरण मे विश्व बैंक आठ सौ करोड़ टका क मदद बिहार सरकार कए देत। विश्व बैंक क दक्षिण एशिया रीजनल को-आर्डिनेटर क्रिस्टोफ पुच क नेतृत्व मे एकटा टीम कोसी क प्रभावित इलाक मे कई दिन तक घूमबाक बाद मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स भेंट केलक। मुख्यमंत्री कहला अछि जे विश्व बैंक क टीम दू फेज मे कोसी क लेल काज करै चाहैत अछि। पहिल चरण मे ओ ध्वस्त भेल घर आ पुल क पुनर्निर्माण मे सहायता क संग-संग जीविका क उपाय आ तकनीकी क्षमता क विस्तार पर मदद करत। दोसर चरण मे ओकर योजना बाढ़ प्रभावित सबटा जिला क बाढ़ प्रबंधन क लेल विस्तृत कार्ययोजना बनेबाक अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments