कोसी नदी मे पायलट चैनल क निर्माण शुरू

पटना। कोसी नदी मे पायलट चैनल निर्माण क कार्य गुरुवार स प्रारम्भ भ गेल अछि। जल संसाधन विभाग क प्रधान सचिव अफजल अमानुल्लाह स्थल पर कैम्प करि रहल छथि। जल संसाधन विभाग क अनुसार काठमांडू मे सम्पन्न कोसी हाई लेवल कमेटी क बैठक क बाद खतरा स निबटने मे मदद भेटल अछि। बैठक मे नेपाल कोसी कए मूल धारा मे अनबा मे पूर्ण सहयोग क आश्र्वासन देलक अछि। एकर बाद ड्रेजिंग मशीन स तटबंध क समीप गाद निकासी शुरू कैल गेल अछि। बराज क समीप कोसी क डिस्चार्ज 22 हजार क्यूसेक भेल। कोसी नदी क धारा बदलला स पूर्वी कोसी तटबंध क 5 स 27 किलोमीटर क बीच नदी क बहाव तटबंध क समीप स भ रहल अछि। एहि स तटबंध पर खतरा उत्पन्न भ गेल अछि। एहि स बचाव क लेल पायलट चैनल क निर्माण शुरू भेल अछि ताकि नदी कए बीच मे आनल जा सकए।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.