कोसी नदी पर बनल पुल क होएत जीर्णोद्धार

कटिहार। बिहार सरकार पूर्वोेत्तर राज्य कए जोड़बा मे मददगार आ सामरिक द्रष्टि स महत्वपूर्ण कोसी नदी पर बनल उच्च स्तरीय सड़क पुल क जीर्णोद्धार करेबा लेल तैयार भ गेल अछि। राज्य क सड़क निर्माण मंत्नी प्रेम कुमार कहला जे जिला मे राष्ट्रीय उच्च पथ संख्या 31 पर निर्मित एहि महत्वपूर्ण पुल क जर्जर स्थिति क मद्देनजर राज्य सरकार अपन कोष स एकर मरम्मत करेबा लेल तैयार अछि। ओ कहला जे केन्द्र सरकार द्वारा 43 वर्ष पुरान एहि सेतु क मरमत आ रख-रखाव पर कोनो ध्यान नहि देल जा रहल अछि। एहन मे आब राज्य सरकार अविलंब एकर मरम्मत करेबाक प्रक्रिया शुरू करत। उल्लेखनीय अछि जे करीब 1025 मीटर लंबा आ 17 स्पैन वाला इ सड़क पुल क कईटा स्लैंब मे पैघ-पैघ गड्डा भ गेल अछि जाहि स  पुल पार करबा मे वाहन कए दिक्कत भ रहल अछि। एहि पुल स भकए प्रति दिन पांच हजार वाहन क आवाजाही होइत अछि। एहि सेतु क निर्माण 1962 मे भारत-चीन युद्ध क बाद शुरू भेल छल आ इ 1967 मे बनिकए तैयार भेल छल, मुदा एकर बाद एकर मरम्मत नहि कए समान भेल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments