कोलंबिया स आयल पूर्णिया मे यूनिवर्सिटी खोलबाक प्रस्ताव

पटना । बिहार में एकटा आओर नीक संस्‍थान क उम्‍मीद जगल अछि। कोलंबिया विश्‍वविद्यालय बिहार मे एकटा विश्‍व स्‍तरीय एग्रो यूनिवर्सिटी खोलबाक प्रस्‍ताव देलक अछि। सीजीए जवाहर ठाकुर एहि संबंध मे जानकारी दैत कहला अछि जे बिहारक पूर्णिया में अगर सरकार एहि संस्‍थान लेल उचित जमीनक इंतजाम क दैत अछि त कोलंबिया यूनिवर्सिटी एहि ठाम एग्रो यूनिवर्सिटी खोलबा लेल तैयार अछि। उल्‍लेखनीय अछि जे 19वीं शताब्‍दी क अंत मे समस्‍तीपुर लेल सेहो अमेरिका स एहन प्रस्‍ताव आयल छल आ तत्‍कालीन तिरहुत सरकार ओकरा स्‍वीकार केने छल, तदुपरांत भारत क पहिल जैविक कृर्षि शोध संस्‍थान पूसा क स्‍थापना भेल छल, जे 1934 क भूकंप क बाद समस्‍तीपुर स नयी दिल्‍ली स्‍थानांतरित क देल गेल। कहल जा रहल अछि जे एहि प्रस्‍ताव पर बिहार सरकार गंभीरता स विचार क रहल अछि आ अगर प्रस्‍ताव मंजूर भ गेल त बिहार में करीब 80 साल बाद कोनो विदेशी संस्‍थान शिक्षा क क्षेत्र में निवेश करत।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments