कोनो तीन सितारा स कम नहि अछि बहेड़ी मे बनल अतिथिशाला

दरभंगा । शहरक सुविधा भोगी रहल लोक लेल एकटा नीक समाद। दरभंगा जिलाक गरीब प्रखंड रहबाक बावजूद बहेड़ी आन प्रखंड लेल आदर्श बनि गेल। बनत आ होयत स आगू एहि ठाम गर्वक संग कहल जा सकैत अछि जे अहां सब लेल सबटा आधुनिक सुविधा स लैश अतिथिशाला मे आइ सदर अनुमंडल पदाधिकारी संजय कुमार सिंह क संग बहेड़ी प्रखंड कार्यालय क सबटा कर्मी आ जनप्रतिनिधि गृह प्रवेश केलथि।
बीडीओ विपिन कुमार राय क परामर्श स प्रखंड पंचायत समिति बनाउल गेल इ अतिथिशाला कोनो तीन सितारा होटल स कम नहि अछि। सच कहल जाए त एतबा सुविधा त जिला मुख्यालयक कोनो होटल मे सेहो नहि अछि। ट्रायसम भवन क छत पर बनल एहि अतिथिशाला साज-सज्जा देखबा योग्य अछि। आधुनिकतम सुविधा स एहि तरह स लैश अछि जे एकर सानी फिलहाल जिला क परिसदन भवन तक नहि करि सकैत अछि। पूर्णत: वातानुकूलित एहि अतिथिशाला मे डबर बेड युक्त एकटा कोठली अछि, जेकर शयन कक्ष मे बेशकीमती लकड़ी क शानदार पलंग, आलमारी, सोफा, टेबल, कम्प्यूटर आ एलसीडी टीवी लागल अछि। कोठली स संलग्न बैठका मे रंगीन टीवी सोफा आदि क बढिय़ा इंतजाम अछि। बैठका स संलग्न डायनिंग हाल अछि, जाहि मे शानदार डायनिंग टेबल आ कुर्सी लागल अछि। एतबा धरि जे एहि अतिथिशाला क कम्प्यूटर कए इंटरनेट स सेहो जोडि़ देल गेल अछि। बीडीओ श्री राय कहला जे इ अतिथिशाला आवश्यकता पड़ला पर आम लोक कए सेहो मात्र 500टका दैनिक दर स भेट सकैत अछि। सरकारी मेहमान कए 20 टका मे दैनिक दर पर इ भेटत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments