कोनो जाति क भ सकैत अछि अगिला सीएम : लालू

जमुई : राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद शायद पिछला चुनाव मे भेल गलती ठीक करबा लेल तैयार भ गेलाह अछि। राजद नेता अब्‍दुलबारी सिद्दीकी कए मुख्‍यमंत्री पद क उम्‍मीदवार घोषित नहि करला स राजद कए काफी नुकसान भेल छल। चुनाव बाद गठबंधनक दूनू पैघ घोषित नेता राबडी देवी आ पारस विधानसभा नहि पहुंच सकलथि आ अंतत: विपक्ष क नेता क तौर पर सिद्दीकी नीतीश क सामने बैसलाह। राबडी देवी दिस स मुख्‍यमंत्री नहि बनबाक घोषणा क बाद जेना लालू खुद मुख्‍यमंत्री क उम्‍मीदवार बनि गेल छलाह ओ गलती आब लगैत अछि राजद प्रमुख कए बुझबा मे आबि गेल। अगिला चुनाव तक पुत्र तेज सेहो मुख्‍यमंत्री बनबा जोकर नहि भ सकताह, ताहि लेल लालू जनता क बीच अपन परिवारवाद कए छवि खत्‍म करबाक प्रयास शुरु क देलथि अछि। ओना त ओ अपन उत्‍तराधिकारी एखन घोषित नहि केलथि अछि, मुदा इ तय भ गेल जे राजद दिस स लालू परिवार क अलावा सेहो सीएम लेल नाम आगू आबि सकैत अछि। अपन परिवर्तन यात्रा क दौरान ओ साफ केलथि जे चुनाव क बाद राजद दिस स बिहार क अगिला सीएम कोनो जाति क भ सकैत अछि। ओ कहला जे बिहार मे जनआंदोलन ठार भ चुकल अछि। सब जाति आ धर्मक लोक नीतीश कए देख लेलक अछि। नीतीश छल स जीत गेलाह आ बिहार क सीएम बनि गेलाह। इ सरकार जन विरोधी अछि। जमुई क केकेएम कॉलेज मैदान मे जनसभा कए संबोधित करैत लालू कहला जे इ सरकार मे इंसाफ नहि भेटत। शिक्षक क मसला पर लालू कहला जे 36 लाख छात्र ऑनलाइन परीक्षा देलथि मुदा सफल केवल एक लाख भ सकलाह। इ कोन परीक्षाफल भेल। लालू-राबड़ी राज मे छात्र स्लेट लकए स्कूल जाइत छलाह मुदा आइ प्लेट लकए स्कूल जा रहल छथि। 90 करोड़ क रेडियो कीनल गेल। जाहि रेडियो क दाम 300 टका अछि ओकर बिल 1000 टका बनाउल गेल। हाईस्कूल लेल कीनल गेल कंप्यूटर सेहो बेकार पडल अछि। नीतीश सरकार साइकिल क टका सेहो डकार गेल। एकर जांच सीबीआइ स हेबाक चाही। नवादा क घटना क जिक्र करैत कहला जे जाहि प्रकार स लाल कपड़ा देखकए सांड़ भड़कैत अछि तहिना कारी कपड़ा देखकए नीतीश भड़कैत छथि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments