कैमूर मे सीमेंट फैक्टरी क उद्घाटन

पटना। कैमूर जिला क दुर्गावती प्रखंड क कर्मनाशा गाम मे सालाना 10 लाख टन उत्पादन क्षमता वाला सीमेंट फैक्टरी क उद्घाटन करैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे फ्लाई एश क अपार संभावना क कारण राज्य मे सीमेंट उद्योग क जाल बिछउल जाएत। ओ कहला जे राज्य मे कईटा बिजली संयंत्र स्थापित भ रहल अछि जाहि स फ्लाई एश प्रचूर मात्रा मे उपलब्ध होएत। ओ कहला जे बिहार कए यदि केंद्र स मदद भेट जाए त इ बीमारू राज्य क वर्ग स त निकलि चुकल अछि जल्‍द स जल्‍द विकसित राज्‍यक कतार मे ढार भ जाएत।
करीब 100 करोड़ टकाक लागत स बनल इको सीमेंट इंडिया लिमिटेड क फैक्टरी क उद्घाटन करैत ओ कहला जे राज्य मे औद्योगिक निवेश कए प्रोत्साहित करबा लेल बहुत सार डेग उठाउल गेल अछि। मुख्यमंत्री कहला जे बिहार क औद्योगिक प्रोत्साहन नीति देश मे सर्वश्रेष्ठ अछि। औद्योगिक निवेश प्रोत्साहन परिषद क गठन भ गेल अछि। बहुत जल्द मुंबई मे एकटा निवेश आयुक्त बैसताह। एहि स उद्योग लगेनिहार कए काफी सुविधा भेटत। ओ कहला जे भविष्‍य मे 800 करोड़ टका क निवेश स 600 औद्योगिक इकाइ लागब तय अछि। नीतीश कहला जे जाहि मास पांचटा सोम होएत ओहि दिन ओ उद्यमी क लेल पंचायत करताह जाहि मे उद्यमी क शिकायत सुनल जाएत।
ओ कहला जे बिहार कए अगर विशेष राज्य क दर्जा भेट जाइत अछि त उद्यमी कए कर मे भारी छूट भेटत। केन्द्र हमरा सब कए कोल लिंकेज नहि द रहल अछि ताहि लेल कईटा निजी विद्युत इकाइ स्थापित नहि भ पाबि रहल अछि। मुदा बिजली क कमी जल्‍द दूर होएत। उन्होंने केन्द्र को भेदभाव बंद करने की नसीहत दी।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments