कैबिनेट मे राम!


पटना। कहियो देश मे सबसे बेसी वोट ल कए संसदक दुहारि पर दहाडबा लेल विख्यात लोजपा अध्यक्ष रामविलास पासवान चुनाव हारलाक महज एक साल बाद संसद पहुंचला, मुदा पिछला दुहारि स। सूत्र क कहब अछि जे प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह एहि मास मे कहियो अपन कैबिनेटक विस्तार करताह, जाहि मे रामविलास पासवान कए कोनो मंत्रालय देल जा सकैत अछि। राजनीति पंडितक चाहे एकरा रामविलासक पिछला दुहारि स कांग्रेस मे जेबाक प्रयास कहथि, मुदा पासवानक मंत्री बनबा स बिहार खुश अछि। रामविलासक छवि बिहार मे काज करनिहार नेताक रहल अछि, रेल आ दूरसंचार मंत्रीक रूप मे ओ बिहार लेल बहुत किछु केलाह। आशा अछि जे आगू सेहो विकासक मामला मे ओ नीतीश कए टक्कर देताह। ओना विरोधी क कहब अछि जे हुनका लेल कांग्रेस मे पार्टीक विलय मुश्किल छल, मुदा सरकार मे शामिल भ ओ बिहार मे कांग्रेस कए मजबूत क सकैत छथि। दोसर कात कांग्रेस रामविलास कए सरकार मे आनि बिहार मे एक तीर स दू टा निशाना साधि सकत। एक कात ओकरा मीरा कुमारक संग-संग पैघ दलित नेता भेटत जाहि स दलित क संग-संग मुसलमान कए अपना दिस अबनबा मे सफल होएत आ दोसर लालू आ पासवान मे बनल गठजोड टूटत, जे कांग्रेस लेल राज्य मे मजबूत हेबा मे रोडा अछि। कारण चाहे जे हुए मुदा एतबा त जरूर अछि जे कैबिनेट मे बिहार स रामविलास पासवान क मौजूदगी बिहार क संग भ रहल नाइंसाफी कए रोकबा मे सहायक होएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.