केंद्र रोकने अछि एनएच क बत्तीस टा योजना कए

पटना। राष्ट्रीय राजमार्ग (एनएच) क बत्तीसटा योजना क स्वीकृति केंद्र सरकार रोकि रखने अछि। योजना मरम्मत स संबंधित अछि। पथ निर्माण मंत्री डॉ प्रेम कुमार कहला जे एनएच क लंबित पड़ल योजना क मामला केंद्र क समक्ष फेर उठाउत सरकार। पथ निर्माण मंत्री कहला जे बिहार मे 3734 किमी राष्ट्रीय राजमार्ग अछि। एहि मे 799 किमी मे एनएचडीपी क अंतर्गत एनएचएआई द्वारा फोर लेनिंग क काज कराउल जा रहल अछि। शेष 2935 किमी एनएच क रख रखाव क लेल राज्य सरकार एकटा एजेंसी क रूप मे काज करैत अछि। वित्तीय वर्ष 2009-10 क वार्षिक कार्य योजना मे 284. 48 करोड़ केंद्र सरकार बिहार क लेल तय करि रखने अछि। एकर तहत 336.52 करोड़ क 36टा परियोजना कए स्वीकृति क लेल केंद्रीय सड़क, परिवहन एवं राजमार्ग मंत्रालय कए पठाउल गेल अछि। एहि मे स मात्र चारिटा कए स्वीकृति भेटल अछि। एतबे नहि पिछला साल 40टा योजना क पुनरीक्षित प्राक्कलन केंद्र कए अनुमति क लेल पठेने रही, एखन धरि कोनो उत्तर नहि भेटल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments