केंद्र कए सौंपल गेल राजेन्द्र कृषि विश्वविद्यालय

वैशाली मे बनत बुद्ध संग्रहालय आ स्मृति स्तूप

पटना । बिहार सरकार राजेन्द्र कृषि विश्वविद्यालय, समस्तीपुर कए केन्द्रीय विश्वविद्यालय बनेबा लेल केंद्र कए सौंपबाक प्रस्ताव पर मुहर लगा देलक अछि। राज्य् कैबिनेट क भेल बैसार मे शिक्षा विभाग क अन्तर्गत राजेन्द्र कृषि विश्वविद्यालय, पूसा कए राजेन्द्र केन्द्रीय कृषि विश्वविद्यालय मे परिवर्तित करबा लेल भारत सरकार आ राज्य सरकार क बीच मेमोरेण्डम ऑफ अंडरस्टैंडिंग कए मंजूरी द देलक। सचिवालय सचिव बी प्रधान क अनुसार राजस्व एवं भूमि सुधार विभाग क अन्तर्गत समस्तीपुर जिलान्तर्गत पूसा अंचल क मौजा-हरपुर, थाना नं०-06, खाता सं०-1303 क कुल रकबा-153.37 एकड़ (एक सौ तिरपन एकड़ सैतीस डिसमिल) राजेन्द्र कृषि विश्वविद्यालय क अधीनस्थ ईख अन्वेषण संस्थान, पूसा क भूमि 1 टका प्रति एकड़ सलामी आ 1 टका प्रति एकड़ वार्षिक लगान क अलावा सेस क भुगतान पर 30 साल क नवीकरण विकल्प क संग बोरलाग इंस्टीच्यूट फॉर साउथ एशिया क स्थापना लेल कृषि मंत्रालय, कृषि अनुसंधान आ शिक्षा विभाग, भारत सरकार कए भूमि लीज देबाक स्वीकृति कैबिनेट द देलक अछि। एकरा संगहि कला, संस्कृति आ युवा विभाग क अन्तर्गत वैशाली मे बुद्ध सम्यक् दर्शन संग्रहालय आ स्मृति स्तूप निर्माण परियोजना क निर्माण कार्य क अनुमानित परियोजना लागत 146,86,79,000 (एक सौ छियालीस करोड़ छियासी लाख उनासी हजार टका) मात्र आ परियोजना लागत क 3.75 फीसदी राशि 5,50,75,462 (पाँच करोड़ पचास लाख पचहत्तर हजार चार सौ बासठ टका) मात्र क परामर्शी शुल्क पर मुख्य योजना आ वास्तु अभिकल्पना परामर्शी क चयन क निमित्त कुल रु0 152,37,54,462 (एक सौ बावन करोड़ सैंतीस लाख चौवन हजार चार सौ बासठ टा) मात्र क स्वीकृति देल गेल अछि। ओ आगू कहला जे कला, संस्कृति आ युवा विभाग क अन्तर्गत ‘‘बिहार विरासत विकास समिति‘‘ पटना कए राज्य क मूर्त्त आ अमूर्त्त विरासत क सर्वेक्षण, सूचीकरण, प्रकाशन आ स्थापना व्यय लेल वित्तीय वर्ष 2014-15 मे योजनान्तर्गत 30,00,000/-(तीस लाख रूपये) मात्र सहायक अनुदान क स्वीकृति देल गेल अछि। संगहि राज्य के उग्रवाद प्रभावित छह जिल मे केन्द्र प्रायोजित कौशल विकास मिशन योजनान्तर्गत  एक-एक औद्योगिक प्रशिक्षण संस्थान तथा दो-दो कौशल विकास केन्द्र क स्थापना क संग योजना क स्वीकृति देल गेल।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments