कृषि उत्पादन मे बढ़ोतरी जरूरी

पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलथि जे भूमि पर निर्भरता क बदला कृषि उत्पादकता बढ़ेबा पर जोर देल जाए। ओ किसान पाठशाला आ समेकित कृषि प्रणाली कार्यक्रम 2009-10 क शुभारंभ करबाक बाद एकटा कार्यक्रम कए संबोधित करैत छलाह। मुख्यमंत्री कहलथि जे किसान पाठशाला क उद्देश्य खेत मे पाठशाला कए आयोजन करि फसल उत्पादकता क ज्ञान बढ़ेबाक अछि। ओ कहलथि जे नव तकनीक स किसान अपन खेती कए उत्पादकता बढ़ाउत आ ओहि स आर्थिक रूप स सेहो मजबूत होएत। ओ इहो कहलथि जे जे किसान एकर अलावा छोट-छोट भूमि मे खेती क संग-संग पशुपालन, डेयरी, मछलीपालन, बागवानी, बायोगैस आ मधुमक्खी पालन शुरू करत, हुनका सरकार सहायता सेहो उपलब्ध कराउत। ओ कहलथि जे प्रत्येक प्रखंड कए दू टा किसान कए, जे इ प्रणाली कए अपनाउत, दस हजार टका अनुदान क रूप मे देल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments