कुसियार क रिकवरी दर बढत

पटना। बिहार सरकार कुसियार क रिकवरी दर 13 फीसदी पर अनबाक प्रयास तेज क देलक अछि। एकरा लेल ओ बेहतर बीया आ उन्नत तकनीक क सहारा ल रहल अछि। ज्ञात हुए जे चीनी उद्योग मे रिकवरी दर, कुसियार मे चीनी क मात्रा कए कहल जाइत अछि। एखन बिहार मे इ दर 9 फीसदी अछि। जाहि स चीनी उत्‍पादन मे बढोतरी नहि भ पाबि रहल अछि। अगर इ दर 13 फीसदी भ जाएत द राज्‍य चीनी उत्‍पादन मे अपन पुरान गौरव कए हासिल करबा लेल तैयार भ जाएत। बिहार मे काफी दिन स इ मांग भ रहल छल जे कुसियारक रिकवरी दर मे बढोतरी कैल जाए। आब अगिला दू साल मे राज्य मे उत्‍पादित कुसियार स रिकवरी क मात्रा कए बढेबाक कोशिश भ रहल अछि। राज्‍य मे बंद चीनी मिल कए खोलबा लेल प्रयास क बीच राज्य मे पैदा भ रहल कुसियार कए आओर मीठ करबा लेल जी जान स जुटल अछि। देखबाक चाही जे सरकारक इ प्रयास केतबा रंग देखबैत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments