कुलसचिव कए भेटत यूजीसी वेतनमान

पटना। बिहार मे विश्वविद्यालय क कुलसचिव कए विश्वविद्यालय अनुदान आयोग क अनुशंसा आ मानव संसाधन विकास मंत्रालय क 1998 क पत्र क आलोक मे सरकार यूजीसी क 16400-22500 क पुनरीक्षित वेतनमान देब मंजूर करि लेलक अछि। मानव संसाधन विकास विभाग क प्रधान सचिव अंजनी कुमार सिंह इ संकल्प जारी करि समाद देलथि अछि। संकल्प मे इ सेहो साफ तौर पर कहल गेल अछि जे कुलसचिव पद पर नियुक्ति क लेल अहर्ता पूरा करब आवश्यक होएत। एकर अनुरूप परिनियम मे बदलाव आनिकए भविष्य मे सबटा नियुक्ति कैल जाएत। संकल्प मे इ सेहो उल्लेख अछि जे वर्तमान मे कार्यरत जे कुलसचिव यूजीसी द्वारा निर्धारित न्यूनतम अहर्ता पूरा करैत छथि, हुनका परिनियम मे संशोधन क तिथि स पुनरीक्षित वेतनमान भेटत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments