कीर्ति कए झटका, कोर्ट कहलक क्रिकेट कए राजनीति स मुक्त राखू

नई दिल्‍ली। दूटा राजनेता क लडाई मे बिहार क क्रिकेट पिछला कई साल स मैदान क बदला मे कोर्ट आ कचहरी क चक्‍कर लगा रहल अछि। दरभंगाक भाजपा सांसद कीर्ति आजाद क एकटा याचिका पर सुनवाई करैत सुप्रीम कोर्ट कहलक अछि जे क्रिकेट कए राजनीति स मुक्त राखल जाए आ एकरा राजनीति क अखाड़ा नहि बनेबाक चाही। एसोसिएशन ऑफ बिहार क्रिकेट स संबंद्ध पूर्व क्रिकेट खिलाडी आ दरभंगा स भाजपा सांसद कीर्ति आजाद एहि मामला मे हस्तक्षेप क अनुमति चाहैत छलाह। एसोसिएशन ऑफ बिहार क्रिकेट राज्य मे राष्ट्रीय जनता दल क सुप्रीमो लालू यादव क अध्यक्षता वाला बिहार क्रिकेट एसोसिएशन क प्रतिद्वन्द्वी छी। न्यायमूर्ति आरएम लोढ़ा आ न्यायमूर्ति अनिल आर दवे क खंडपीठ बिहार मे क्रिकेट क दूनू प्रतिद्वन्द्वी क्रिकेट संगठन क बीच चलि रहल विवाद पर दायर याचिका क सुनवाई क दौरान इ टिप्पणी केलक। दूनू न्यायाधीश कहला जे क्रिकेट खेल छी आ एकरा खेल जेकां छोडि देल जाए, नहि मे राजनीति उचित नहि। कोर्ट कहलक जे क्रिकेट कए राजनीतिज्ञ क गेंद नहि बनए देबाक चाही। कोर्ट क इ टिप्‍पणी कीर्ति आजाद लेल एकटा झटका मानल जा रहल अछि, मुदा इ सवाल एखनो मुंह खोलने ढार अछि जे बिहार क खिलाडी क भविष्‍य कहिया रोशन होएत। बिहार मे क्रिकेट कहिया फेर जीवंत होएत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments