कीर्ति आजाद क माता क निधन

नई दिल्ली। पूर्व क्रिकेटर कीर्ति आजाद क माता आ बिहार क पूर्व मुख्यमंत्री भागवत झा आजाद क पत्नी इंदिरा झा क बुधदिन भोरे दिल्ली मे निधन भ गेल। ओ 75 वर्ष क छलीह। दिल्ली क लोधी श्मशान गृह मे हुनकर अंतिम संस्कार कएल गेल।
हुनकर पैघ बेटा डॉ. राजवर्धन आजाद मुखाग्नि देलथि। अंतिम संस्कार मे दरभंगा क सांसद कीर्ति आजाद, इंदिरा झा क दोसर बेटा आ मध्यप्रदेश क वरिष्ठ पुलिस अधिकारी यशोवर्धन आजाद क अलावा लोकसभा मे नेता प्रतिपक्ष लालकृष्ण आडवाणी, डॉ. मुरली मनोहर जोशी, केदार नाथ साहनी, भाजपा महासचिव थावरचंद गहलोत क संग अन्य अधिकारी श्रीमती आजाद कए श्रद्धांजलि देलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments