किया नहि दर्ज भेल रूपम क मुकदमा : कोर्ट

पटना । पटना हाईकोर्ट पूर्णिया क विधायक राजकिशोर केशरी क हत्या मे संलिप्त रूपम पाठक स जुड़ल मामला पर सुनवाई केलक। रूपम क माइ कुमुद मिश्रा क याचिका पर अदालत राज्य सरकार कए दू सप्ताह मे शपथपत्र दायर करबाक निर्देश देलक अछि। अदालत जानकारी मंगलक अछि जे बलात्‍कार आ मर्डर क दूटा अलग-अलग केस मे एखन धरि की प्रगति भेल अछि? बलात्‍कार क केस रूपम दायर केने दथि, जखन कि हत्या क मुकदमे मे ओ स्वयं संलिप्त छथि। याचिकाकर्ता आरोप लगेलथि अछि जे पुलिस प्रशासन ईमानदारी स जांच नहि करि रहल अछि। ओना आब इ केस सीबीआई क हाथ मे चल गेल अछि। याचिकाकर्ता क इ आरोप सेहो अछि जे कांड क दौरान विधायक क समर्थक आओर सुरक्षा गार्ड रूपम पर जानलेवा हमला केने छल। मुदा हमलावर क विरूद्ध प्राथमिकी तक दर्ज नहि कैल गेल अछि। केस नहि दर्ज करबा लेल पुलिस क दलील अछि जे अज्ञात लोकक विरूद्ध एफआईआर दर्ज कैल गेल अछि। जखन कि याचिकाकर्ता क कहब छल जे हमलावरक नाम क खुलासा कैल जा चुकल अछि। अदालत क कहब छल जे नाम देलाक बा आखिर हुनका अभियुक्त किया नहि बनाउल गेल अछि? आब, जखन राज्य सरकार स्वत: हत्याकांड क जांच सीबीआई स करेबाक घोषणा करि देने अछि, त याचिकाकर्ता बलात्‍कार केस क जांच सेहो सीबीआई स करेबा लेल कही रहल छथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments