किछु छोडि़ देलक शहर, किछु बदलि लेलक धंधा

पटना। बिहार बदलि रहल अछि। किछु लोक इ मानबा लेल तैयार नहि छथि, मुदा कम स कम ओ इ मानि रहल छथि जे नीतीश सरकार मे या त शहर छोडि़ दलेक या अपन धंधा बदलि लेलक। इ ओहि रिपोर्ट क सबस खास गप अछि जेकरा सीआईडी कई जिला स भेटल ‘इनपुटÓ क आधार पर तैयार केलक अछि। जिला मे तैनात पुलिस अफसर कए इ टास्क देल गेल छल जे ओ ओहन लोकक ब्योरा इक_ा करथि जे पूर्व क वष मे अपहरण स जुड़ल मामला मे कोनो न कोनो तरह स संलिप्त छल। एहि सूची मे एहनो लोक कए शामिल कैल गेल छल जे अपहृत कए नुकेबा मे कदद करैत छल अथवा अपहर्ता हुनकर घर क फोन क उपयोग फिरौती मंगबा लेल करैत छल।
सीआईडी पूर्व क कांड क आधार पर किछु खास जिला तय करि अपन अध्ययन केलक अछि। ओहि जिला कए एहि अध्ययन मे शामिल कैल गेल छल जाहि ठाम अपहृत क बरामदगी क मामला पैघ संख्या मे भेल छल। रिपोर्ट मे इ गप सामने आयल अछि जे बहुत एहन लोक शहर छोडि़ देलक जिनकर घर स अपहृत क बरामदगी भेल अछि। पुलिस हुनका गिरफ्तार सेहो केने छल, मुदा जखन स्पीडी ट्रायल क हवा चलल त अचानक ओ गायब भ गेलाह। हुनकर परिजन स पुलिस पूछताछ नहि केलक मुदा आसपास क लोक इ सूचना देलक जे लंबा समय स ओ शहर मे नहि छथि। मोतिहारी आ छपरा मे एहि तरह क मामला पैघ संख्या मे सामने आयल अछि।
सीआईडी क रिपोर्ट मे एहि गप क जिक्र अछि जे अपहरण कांड मे सीधा-सीधा नामजद अपराधी मे पैघ संख्या एहन अछि जे जेल मे छथि। अपहर्ता कए शरण देइ वाला लोक मे स किछु अपना धंधा बदलि लेलक अछि। कई गोटे पैघ स्तर पर ठेकेदारी शुरू करि लेलक अछि आ किछु दोसर राज्य मे शिफ्ट भ गेल अछि। सूत्र कहैत अछि जे आब इ पता लगाउल जा रहल अछि जे अपहर्ता कए शरण दइ वाला सब जे कारोबार शुरू केलथि अछि ओहि मे धन केकर लागल अछि? दोसर राज्य मे शिफ्ट कए चुकल पुरान अपहर्ता ओहि ठाम की करि रहल छथि आओर हुनकर तारएहन अपने इलाका स कई हद तक जुड़ल अछि। एडीजी (सीआईडी) राजवर्धन शर्मा स जखन एहि संबंध मे गप भेल त ओ कहलथि जे पुरान फरारी कए सेहो एकटा सूची जिला स भेटल इनपुट क आधार पर तैयार कराउल जा रहल अछि। केतबा संख्या मे अपराधी फरार अछि आओर हुनकर गिरफ्तारी क लेल कौन महीना की प्रयास भेल एकर बारे मे सेहो आरक्षी अधीक्षक कए अनिवार्य रूप स रिपोर्ट देबा लेल कहल गेल अछि। फरार अपराधी क गिरफ्तारी क बाद फरारी सूची कई हद तक छोट भेल इ सेहो बतेबाक निर्देश देल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments