काल्हि स शुरू होएत रिंग बस क एसी सेवा

पटना। बेर बेर टाल मटोल क बाद आखिरकार रिंग बस क एसी सेवा शुक्रदिन स शुरू भ जाएत। काल्हि स पटनाक लोक ठंडा ठंडा सफर क आनंद ल सकताह। एहि सेवा क शुभारम्भ परिवहन मंत्री वृषिण पटेल करताह। भोर 11 बजे स्थानीय एसके मेमोरियल हाल स बस कए हरका झंडा देखाय कए एकर शुरुआत कैल जाएत। परिवहन निगम एहि बस क परिचालन क लेल तीन टा रूट चुनलक अछि। ई बस रूट नंबर 2, 4, आ 7 पर चलत। एकरा लेल न्यूनतम किराया 10 टका राखल गेल अछि। तकर बाद दूरी क हिसाब स किराया क्रमशः 15 आ 20 टका होएत। एहि बस क चालक आ संवाहक क रिंग बस कए आम बस स अलग ड्रेस देल जाएत। आ संगहि बस मे नीक क्वालिटी क म्यूजिक सिस्टम सेहो लागल अछि। एहि सब कए देखैत कहल जा सकैत अछि जे एहि गरमी मे पटनाक लोक लेल इ सरकार दिस स एकटा नीक सनेस अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments