कायम रहत ज्योति क लौ

पूर्णिया। खो-खो क राष्ट्रीय खिलाड़ी ज्योति क लौ आब नहि मिझायत। मुख्यमंत्री एहि मामला मे पहल करैत ज्योति क इलाज क सबटा खर्च मुख्यमंत्री राहत कोष स देबा लेल आदेश देलथि अछि। मुख्यमंत्री क निर्देश पर जिलाधिकारी डॉ. एन. सरवण कुमार ज्योति क हाल लेबा लेल स्थानीय हड्डी रोग विशेषज्ञ के. एस आनंद क नर्सिग होम पहुंचलाह आओर मुख्यमंत्री क संदेश पहुंचेलाह। जिलाधिकारी कहला जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार न केवल ज्‍योतिक इलाज क खर्च मुख्यमंत्री राहत कोष स देबा लेल कहलथि अछि, बल्कि हुनकर खेल कए बढ़ावा देबा लेल सेहो हरसंभव मदद क भरोस देलथि अछि। जिलाधिकारी कहला जे अगर बेहतर इलाज क जरूरत लेल ज्‍योति कए बाहर ल जेबाक जरूरत पडल त सरकार अपन खर्च पर बाहर ल जाएत। एकर बाद डॉक्‍टर क कहब अछि जे ज्योति तीन मास बाद मैदान पर लौट सकैत छथि। ज्ञात हुए जे पूर्णिया महिला कॉलेज मे स्नातक पार्ट तीन क छात्रा ज्योति 4 अप्रैल कए एकटा सड़क हादसाक शिकार भ गेल छलीह। एहि हादसा मे हुनकर दूनू पैर क हड्डी टूटि गेल छल। बीपीएल परिवार क इ बेटी टकाक अभाव मे जिंदगी आ मौत क बीच झूलि रहल छल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments