कानून स बंधल अछि निजी स्कूल

पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार साफ तौर पर कहला अछि जे राइट टू एजुकेशन एक्ट बिहार मे कोनो हालत मे लागू होएत। एहि मे कोनो तरहक हीलाहवाली ओ कतई बर्दाश्त नहि करताह। निजी स्कूल कए हर हाल में पच्चीस फीसदी सीट गरीब बच्चा कए मुहैया करेबाक अछि। ओ सब इ नीक जेकां बुझी जाइथि। राज्य सरकार गरीब बच्चा क पढ़ाई क खर्च उठाबा लेल तैयार अछि। मुख्यमंत्री इ गप तखन कहला जखन जनता दरवार मे पालीगंज क बबिता हुनका स कहलथि जे डीएवी, स्कूल, पालीगंज क प्रबंधन हुनकर बच्चा क नामांकन नहि कए रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments