कांटी थर्मल स शुरू भेल बिजली उत्पादन

पटना। आखिरकार कांटी थर्मल पावर स्टेशन स बिजली उत्पादन शुरू भ गेल। कांटी आ बरौनी थर्मल पावर क उत्पादन मे वृद्धि स बिहार राहत क सांस लेलक अछि। दूनू इकाइ स शुक्रदिन लगभग 170 मेगावाट बिजली क उत्पादन भेल। बिहार राज्य विद्युत बोर्ड क प्रवक्ता हरेराम पाण्डेय कहला जे कांटी-बरौनी थर्मल स उत्पादन मे वृद्धि भेला स काफी राहत भेटल अछि। एखन केन्द्रीय सेक्टर स हिस्सेदारी क आधा बिजली बिहार कए भेट रहल अछि। फरक्का आ कहलगांव क एक-एक इकाई स कोयला क कमी क चलते बिजली उत्पादन शुरू नहि भ सकल अछि। संगहि अन्य इकाइ स उत्पादन मे वृद्धि नहि भ पाबि रहल अछि। यूआई चार्ज क तहत अतिरिक्त बिजली लेबाक प्रयास चलि रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें