कांग्रेस नेता ज्योति भरती हर्जाना!

पटना। इ बहुचर्चित गमलातोड़ राजनीति क दोसर भाग अछि। अगर बिहार विधान परिषद क सभापति ताराकांत झा अपन कवायद मे कामयाब रहला, त एहि दोसर भाग मे कांग्रेस क विधान परिषद सदस्य डा ज्योति क ब्लड प्रेशर नॉर्मल रहत आ ओ शांति क संग अपन ऊपर लगाउल गेल जुर्माना भरी देतीह। हालांकि एखन धरि इ तय नहि भेल अछि जे गमला तोडबा लेल हुनका केतबा टका चुकेबाक अछि? हां, परिषद सचिवालय क लग मे हुनकर द्वारा तोड़ल गेल गमला क गिनती जरूर अछि। परिषद क सभापति उद्यान निदेशक स मुख्य द्वार क समीप तोड़ल गेल गमला आ नष्ट पौधा क मूल्य क रिपोर्ट मंगलथि अछि। एकर बाद डॉ ज्योति स हर्जाना देबा लेल कहल जाएत। एहि स पूर्व हुनका अपन पक्ष रखबाक पूरा मौका सेहो भेटत। सभापति साक्ष्य क तौर पर ओहि तस्वीर कए रखलाह अछि जाहि मे ओ गमला कए उठाकए फेंकैत, पटकैत देखा रहल छथि। दुनिया भरि मे इ दृश्य सजीव प्रसारित भेल छल आ बिहार क नेताक संग-संग राज्य क छवि धुमिल भेल छल। जानकार कहैत छथि जे बिहार मे एहन कोशिश आइ धरि नहि भेल छल। परिषद क इतिहास मे पहिल उदाहरण अछि, जखन कोनो सदस्य स सार्वजनिक संपत्ति कए क्षति पहुंचेबा क एवज मे जुर्माना वसूलबाक तैयारी भ रहल अछि। इ आम लोक क लेल सेहो नसीहत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments