कलावती लड़ती चुनाव

samaad-Kalawati
नई दिल्ली। विदर्भ क कलावती चुनाव लड़ती। कलावती आई वानी विधानसभा सीट स पर्चा दाखिल केलथि। पिछला किछु दिन स हुनकर चुनाव लड़बाक चर्चा भ रहल छल। पिछला हफ्ता कलावती साफ तौर पर कहलथि जे ओ महाराष्ट्र विधानसभा चुनाव लड़बा लेल तैयार नहि छथि। बीतल हफ्ता कलावती क विदर्भ जनआंदोलन समिति क उम्मीदवार क रूप मे प्रदेश क वणी विधानसभा क्षेत्र स चुनाव लड़बाक खबरि आयल छल। एकटा प्रमुख मराठी दैनिक इ दावा केने छल जे ओकरा कलावती कहलथि अछि जे ओ कांग्रेसक खिलाफ चुनाव लड़बा लेल तैयार छथि। एकर बाद देश भरि मे राहुलक इ पोस्टर महिला एक बेर फेर चर्चा केंद्र बनि गेल छलीह। कलावती क परिवार कए गोद लेनिहार सुलभ क प्रमुख विन्देश्वर पाठक तक कलावती कए राजीनीति मे नहि एबाक अपील केने छलाह। कहल जा रहल अछि जे पाठकक अपील पर कलावती आइ बयान देलथि जे हुनका राजनीति से कोनो मतलब नहि छनि आ ओ चुनाव नहि लडि़ रहल छथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments