कलाकार मनक हत्‍या नहि कए सकलहुं : राहुल

बहुमुखी प्रतिभाक धनी राहुल गाम घर मे नाटक खेलाइत खेलाइत कहिया एकरा अपन करियर बना लेलथि हुनको पता नहि चलल । ‘बाहुबली’ क ललन क रूप मे काज करि छोट पर्दा क जरिए..घर-घर मे पहचानल चेहरा राहुल आइ हिंदी आ मैथिलीक कईटा सिनेमा मे लीड भूमिका निभा रहल छथि। हुनकर मैथिली फिल्म सजना के आँगन में सोलह श्रृंगार एहि साल आबि रहल अछि। प्रस्तुत अछि इसमाद लेल राहुल स सुनील कुमार झाक गपशपक खास अंश-
प्र- राहुल सबस पहिने इसमाद स गप करबा लेल धन्‍यवाद।
राहुल- अहूं कए धन्‍यवाद
प्र- अहांक पैतृक घर कतए भेल, परिवारक आओर कियो एहि फील्ड मे छथि?
राहुल- हमर घर मधेपुरा भेल। हमर जन्म 21 फरबरी 1977 कए मधेपुरा जिलाक एकटा छोट सनक गाम बुधमा में भेल अछि। …।
प्र- अहांक एकटा कलाकार बनबा मे माता-पिताक एतबा योगदान अछि।
राहुल- हम पढाई लिखाई मे ठीक रही। अपन क्लास मे फर्स्ट करैत रही, ताहि लेल माता-पिता सेहो कहियो कला स कोनो समझौता करबा लेल दबाव नहि देलथि। हुनकर सहयोग क कारण आइ एहि ठाम छी।
प्र- अहांक पढाई कतए भेल।
राहुल- प्रारंभिक शिक्षा स ल कए स्नातक तक क शिक्षा सहरसा जिला मे मनोहर लाल टेकरीवाल कॉलेज स केलहुं। सांख्यकी स स्नातक केला क बाद दिल्ली एलहुं आ त्रिवेणी कॉलेज स फोटोग्राफी मे स्नातक केलहु, मुदा भीतरक कलाकार मन…फोटोग्राफी मे नहि रहबा लेल बेर बेर दबाव द रहल छल। किछु दिन क बाद हिमाचल प्रदेश क मंडी ड्रामा स्कूल स ड्रामेटिक आर्ट मे डिप्लोमा करबाक फैसला लेलहुं आ ओहि ठाम स निकललाक बाद सीधा मायावी नगरी मुंबई…।
प्र- अहांक कला यात्रा कोना शुरू भेल।
राहुल- हम जीवन क पहिल स्टेज नाटक अपन कॉलेज क दिन मे सहरसा मे केने रही, जेकर नाम छल अमली… सहरसा क आह्वान नाट्य मंच केने छल। आरटी रंजन क निर्देशन मे मंचित इ नाटक सहरसाक लोक क दिल मे बैस गेल छल आ हमरा एकटा सशक्त अभिनेता क रूप मे उभरबाक मौका भेटल।
प्र- मुंबई मे केहन अनुभव रहल, काज भेटबा मे केतबा दिक्‍कत भेल।
राहुल- अनुभव नीक रहल आ आज भेटबा मे कोनो पैघ दिक्‍कत नहि भेल। मुंबई एला क बाद पहिल बेर अभिनय करबाक मौका भेटल बाहुबली धारावाहिक मे ललन सिंह क भूमिका स। बिहार क बाहुबली नेता पर बनल ई धारावाहिक मे हमरा काफी स्‍कोप भेटल आ हमर काज क सराहना भेल। जेकर परिणाम सेहो सोंझा आयल। हिंदी फिल्म दिलनशी मे काज भेटल।
प्र- अहां मैथिली सिनेमा मे सेहो काज कए रहल छी।
राहुल- जी, हमर पहिल मैथिली फिल्म सजना क आँगन मे सोलह श्रृंगार दशहरा क सुभ अवसर पर अपना लोकनि क बीच आउत। एही मे हमर मुख्य भूमिका अछि। एकर अलावा सेहो हम दू टा मैथिली फिल्म कोशी मैया आ सबरी क बैर, आ एकटा हिंदी फिल्म पुष्पांजलि कए रहल छी।
प्र- अहां मैथिली सिनेमाक विकास लेल प्रयासरत छी, कोनो योजना अपन क्षेत्रक विका लेल सेहो अछि।
राहुल- योजना त बहुत अछि, मुदा जाहि पर गंभीरता स विचार कए रहल छी ओहि मे सएकटा सहरसा जिला मे एकटा नाट्य विद्यालय खोलबाक योजना कहि सकैत छी। अपन गाम घर क जे कलाकार टका या नीक दिशा निर्देश क आभाव मे अपन कलाकार मन कए हत्‍या करैत छथि हुनका लेल इ नाट्य विद्यालय वरदान साबित होएत।
प्र- राहुल अहांक आगामी सिनेमाक सफलताक बधाई आ इसमाद संग गप करबा लेल धन्‍यवाद।
राहुल- इसमाद कए सेहो शुभकामना आ धन्‍यवाद।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

9 टिप्पणी

  1. ई-समाद आ सुनील जीक धन्यवाद जे कलाकार के सामने अनबाक प्रयास शुरू केलथि अछि. राहुल जी हमर सभहक मित्र छथि. राहुल भारती + उत्पल झा + संजय सिंह + रजनीश झा …. ई सब गोटे सहरसाक ओ खेप छथि जे रंगकर्म संग फिल्म जगत मे एक संग सक्रिय छथि..

  2. Rahul jee aur Sunil jee dunu gote de bahut bahut dhanybad, rahul jee jinikak har shetra me aagu badhaith aur Super Star banaith, rahul ke ekta baat bahut besi neek lagal je saharsa me natak akdmi kholwak vichar karait chhaith, log jakhn upar uthi jait achhi te neecha wala ke kira-mokora bujhay lagait chhaik, aur sabse pahne apan sanskar bisari jait achhi.

  3. Rahul ji sa kayal gel sakchhatkar neek laagal. Mithila me pratibha ke kono kami nahi achhi.

  4. atek sundar maithilik website dekhi ke mon khush bhay gel…..Mithilak gram gram ke samachar…vikasak projects gatividhi…sab sa sambadhit samachar sa avagat bhay jay chhi….ahi website ke paachha ya aaga je bhi karmachari/vyakti chhathi sachmuch dhanyavaadak patra chaathi.asha karait chhi ki aaba bala kichhi samay me esmad Mithilak bikasa me amuly yogadaan det.ahi me kono prakarak samshay nahi.

    samge sab rachanakar ke dhanyavaad dait…ii waada kay rahal chii ki hamhu esamad ke madhyam se Mithila ke samskriti ke raksha tatha sambardhan kar me sarthak tatha bishesh yogadaan deb…saadar.

    Bhaskaranand Jha Bhaskar
    Basant,Kharka,Jale darabhanga

  5. वाह वाह मिथिला के सपूत के हिन्दी आर मैथिली फ़िल्म में अभिनय संबंधी जानकारी प्राप्त कय के अति प्रसन्नता भेटल । मैथिली फ़िल्म रिलीज भेला पर फ़िल्मक प्रचार में हम मैथिल सब जरूर जोश आर खरोश के साथ अव्श्य योगदान करब। धन्यवाद !!!

    भास्करानंद झा भास्कर
    बसंत,खड़का,जाले दरभंगा ।

Comments are closed.