करोड क छल हार, भेटल 35 हजार 500

दरभंगा : दरभंगा कए लुटनिहार भगवान तक कए नहि छोडलक। लाख हल्ला मचेलाक बावजूद रामेश्वरी  श्यामा काली क  गला स हार चुरा लेल गेल। एकर आशंका इसमाद पहिने जता चुकल छल। पहिने मुकुट चोरी भ चुकल छल, फेर हार चोरी क बाद न्यास दिस स जेना उदासीनता बरतल गेल, ताहि स बुझा गेल छल जे न्यास हार लेल बेसी चिंतित नहि अछि। लोक कए ध्यान बंटबा लेल आब न्यास मूर्ति पर नकली मुकुट जेकां नव हार बनवा कए पहिरा देलक अछि। न्यास समिति क सचिव श्रीपति त्रिपाठी कहला अछि जे मां क गला क हार विगत 26 मार्च कए चोरी भ गेल। मुदा ओ इ कहबा मे समर्थ छथि जे आखिर बिना न्यास क मिली भगत स भगवतीक गला तक चोरक हाथ कोना पहुंचल। चोर करोड़ टकाक हार चोरबा काल ओकर किछु हिस्सा मंदिर मे खसा देलक जेकर मूल्य कई हजार बताउल जा रहल अछि। मंदिर प्रबंधन ओकरा सुरक्षित राखि अपना कए ईमानदार घोषित करबा मे लागल अछि। सबस हस्यास्पद गप इ अछि जे न्यास समिति करोड़क हार क स्थान पर महज 35 हजार 500 टका क नकली हार श्यामा क गला मे पहिरा देलक अछि। कहल जा रहल अछि जे सोना आ नवरत्न क जगह पर आब चांदी क हार पर सोना क पाइन चढ़ा न्यास मामला कए दबा देबाक कोशिश मे अछि। दरभंगा क एकबेर फेर लूट पर दरभंगाक लोक चुप रहलाह।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

2 टिप्पणी

  1. Shyama Mandir nyas samiti nik comic dekha rahal achhi. Dekhinihar dekhait jau, bujhinihar bujhi jau……….

Comments are closed.