कमला कांत झा मैथिली अकादमी क अध्यक्ष बनलाह

पटना । राज्य सरकार मैथिली अकादमी क पुनर्गठन करि देलक अछि। हालांकि नीतीश सरकार क कार्यकाल पूरा हेबा मे किछु मास बाकी अछि तखन एकर पुनर्गठन कैल गेल अछि। कमला कांत झा कए मैथिली अकादमी क अध्यक्ष बनाउल गेल अछि। मैथिली अकादमी क कार्यसमिति आ सामान्य परिषद क सेहो पुनर्गठन कैल गेल अछि। आरएन कॉलेज मधुबनी क मैथिली विभाग क डा. विभूति आनंद, एएन कालेज पटना हिन्दी विभाग क रीडर डा.कलानाथ मिश्र आ पटना विवि मैथिली विभाग क अध्यक्ष डा. विरेन्द्र नारायण झा कए सामान्य परिषद क सदस्य बनाउल गेल अछि। ओतहि एमएलएसएम कॉलेज दरभंगा क मैथिली क अवकाश प्राप्त विभागाध्यक्ष डा. उमाकांत झा आ तिलका मांझी विवि भागलपुर मे रसायन विभाग क ज्योतिन्द्र चौधरी कए कार्य समिति क सदस्य मनोनीत कैल गेल अछि। ओना कार्यसमिति मे 8 पदेन आ 15 मनोनीत सदस्य होइत छथि। जखकि सामान्य परिषद मे 28 मनोनीत (कार्य समिति क 15 मनोनीत सहित) आ 21 पदेन सदस्य होइत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

2 टिप्पणी

  1. Maithili academi me KAMALAKANT babuk prawesh san academi ken nav gati bhetat,hum ehi prauash ken swagat karait chhee,regards,
    shiv kumar jha tilloo
    videha.co.in

Comments are closed.