कबाड़ी मे बिकत बिहार सरकार क हेलिकॉप्टर

संग्रहालय मे बदलत बिहार सरकार क हवाई जहाज

पटना । पटना एयरपोर्ट क बिहार हेंगर क तसवीर बदलैबलय अछि । सरकार पुरान आओर बेकार पड़ल जहाज कए ओतय स हटैबा क फैसला केने अछि । नीतीश सरकार जर्जर भए चुकल हेलिकॉप्टर कए कबाड़ी मे बेचबाक निर्णय लेने अछि, जखनकि राज्य सरकारक दुनू बोनन्जा विमान वीटी-डीएजी आओर जी-35 आब पटना क राजधानी वाटिका आओर जैविक उद्यान मे संग्रहालय क रूप मे देखा पड़त।

उल्लेखनीय अछि कि तकनीकी रूप स जर्जर भए चुकल हेलिकॉप्टर कए सीएम नीतीश कुमार सरकारक बेड़ा स हटेबा क निर्देश देने छथि‍। संगे सालों स स्टेट हेंगर मे पड़ल बोनन्जा जहाज कए सेहो संग्रहालय मे बदलबा पर फैसला भए गेल अछि। बताओल जा रहल अछि कि स्टेट हेलिकॉप्टर क मेंटेनेंस पर बेसी खर्च आबि रहल अछि, एहि क देखैत 40 साल पुरान राजकीय हेलिकॉप्टर कए  कबाड़ी मे बेचबाक निर्देश देल गेल अछि। मुख्यमंत्री क मंजूरी क बाद एकरा कबाड़ी मे बेचबाक क प्रक्रिया सेहो शुरु कए देल गेल अछि। एहि क अलावा 39 साल क सेवा देबाक बाद हेंगर मे पार्क भए चुकल राजकीय विमान किंग एयर सी 90 वीटी ईएफजी कए सेहो ओतय स हटेबा क निर्देश देल गेल अछि । एहि क तहत विमान सीपीएल होल्डर प्रशिक्षार्थियों कए इन्डोर्समेंट ट्रेनिंग मे लगेबा क लेल उपयोग मे आनल जाएत। राज्य सरकारक एकटा अन्य आदेश क तहत आजादी काल क बोनन्जा विमान वीटी-डीएजी आओर जी 35 कए इको पार्क आओर चिडिय़ाखाना मे रखबाक आदेश देल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments