कन्या सुरक्षा मे सेहो बिहार भेल अव्वल

पटना। बिहार कन्या क सुरक्षा मामला मे अव्वल भ गेल अछि। लिंग अनुपात कए संतुलित करबाक दिशा मे मुख्यमंत्री कन्या सुरक्षा योजना दोसर राज्य क मुकाबले बिहार मे बेहतर प्रदर्शन केलक अछि। एखन धरि तीन लाख, 15 हजार कन्या क आवेदन योजना क तहत स्वीकृत कैल जा चुकल अछि, जेकरा चालू वित्तीय वर्ष क समाप्ति तक पांच लाख तक पहुंचेबाक अछि। इ दावा मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मुख्यमंत्री कन्या सुरक्षा योजना क वार्षिक उपलब्धि समारोह क दौरान केलथि। ओ कहला जे योजना क सफल क्रियान्वयन स एक दिस भू्रण हत्या पर लगाम लगल आ लिंग अनुपात मे अंतर कए दूर करबा मे सफलता भेटल अछि त दोसर दिस कन्या संतान क जन्म क निबंधन सेहो शुरू भ गेल अछि।
18 साल क बाद भेटत 25 हजार
यूटीआइ क दू हजार टका क बांड कन्या कए 18 वर्ष क आयु पूरा भेला पर 20 स 25 हजार टका तक भ जाइत । यूटीआइ क व्यवसाय मे जहि प्रकार बढ़ोतरी भ रहल अछि ओहि स इ राशि कए आओर बढ़बाक संभावना अछि। मुख्यमंत्री योजना क क्रियान्वयन मे राशि क कमी नहि हेबाक गप कहैत कहला जे 100 करोड़ टका सेहो वार्षिक खर्च करै पड़त त राज्य सरकार एकरा लेल तैयार अछि। एहि दौरान योजना पर आधारित डाक्यूमेंट्री क प्रदर्शन सेहो कैल गेल। योजना क लाभांवित मनेर क कन्या संतान अनुष्का क माइ कविता देवी सेहो विचार रखलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments