कटहलबाडी रेल उपरिपुल पर लागत स्‍ट्रीट लाइट : सरावगी

दरभंगा । नगर विधायक संजय सरावगी कहला अछि जे दरभंगा क कटहलबाडी स्थित रेल उपरिपुल पर शीघ्र स्‍ट्रीट लाइट लगाउल जाएत। ओ कहला जे एकरा लेल टकाक आवंटन भ चुकल अछि आ काज कहियो शुरू भ सकैत अछि। ज्ञात हुए जे एहि उपरि पुल क उदघाटन मुख्‍यमंत्री नीतीश कुमार किछु मास पहिने केने छलाह। उदघाटक बाद स एहि उपरिपुल पर स्‍ट्रीट लाइट लगेबाक मांग भ रहल छल। एहि उपरिपुल लेल पहिने स्‍ट्रीट लाइट क प्रावधान नहि कैल गेल छल, मुदा बाद मे जोडल गेल अछि । श्री सरावगी कहला जे बहुत जल्‍द दोनार रेल उपरिपुल लेल सेहो काज शुरू भ जाएत। दोनार मे प्रस्‍तावित पुल कटहलबाडी स काफी चौडा अछि। ओ कहला जे दरभंगा क सडक पर सेहो स्‍ट्रीट लाइट लगेबाक योजना अछि। ज्ञात हुए जे 1939 स दरभंगा मे स्‍ट्रीट लाइट लेल अलग फेज छल, मुदा 1984 मे ओ फेज कए खत्‍म क देल गेल। स्‍थानीय विधायक इ’समाद स एकटा खास भेंट मे कहला जे शहर लेल जलजमाव एकटा पैघ समस्‍या अछि आ ओ एहि समस्‍या क ठोस निदान लेल एकटा पैघ परियोजना कए मंजूर करेबा मे लागल छथि। ओ कहला जे कई सौ करोड क इ योजना स दरभंगा मे ड्रेनेज आ सिवरेज क नव जाल बिछाउल जाएत। श्री सरावगी कहला जे एकर प्राइज़ तय करबा स पूर्व 1934 क मास्‍टर प्‍लान क अध्‍ययन सेहो कैल जाएत। ज्ञात हुए जे दरभंगा क 1934 क मास्‍टर प्‍लान किछु दिन पहिने बरामद भेल अछि। एकटा अन्‍य सवालक उत्‍तर मे श्री सरावगी कहला जे दरभंगाक तारामंडल क एहि वित्‍तवर्ष मे निर्माण शुरू भ जाएत आ 2015 तक बनि कए तैयार भ जाएत ।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments