कई योजना शुरू करबाक घोषणा

0
39
esamaad maithili newspaper

पटना । विधानसभा मे पेश भेल आम बजट मे कईटा योजना शुरू करबाक प्रस्‍ताव अछि। अर्द्ध निर्मित आ क्षतिग्रस्त इंदिरा आवास क मरम्मति लेल मुख्यमंत्री शताब्दी इंदिरा आवास जीर्णोद्धार योजना, राज्य क सबटा गाम आ टोलाक गली आ नाली क पक्कीकरण करबा लेल आ आंगनबांड़ी केन्द्र क भवन निर्माण लेल मुख्यमंत्री ग्रामोदय कार्यक्रम, कुष्ठ रोगी आ बंधुआ मजदूर क पुनर्वास लेल मदर टेरेसा पेंशन योजना आ दुर्घटना मे मारल गेल लोकक परिजनक लाभार्थ लेल बिहार परिवार लाभ योजना शुरू करबाक घोषणा कैल गेल अछि। एकर संगहि अनुसूचित जाति – जनजाति लेल सेहो कईटा योजनाएं शुरू करबाक घोषणा कैल गेल अछि। एहि मे शताब्दी मुख्यमंत्री अनुसूचित जाति – जनजाति बालिका उत्कृष्ट मेधावृति योजना, शताब्दी मुख्यमंत्री अनुसूचित जाति रोजगार ऋण योजना आ शताब्दी मुख्यमंत्री अनुसूचित जाति जनजाति शिक्षा ऋण योजना शामिल अछि। एहिना बिहार शताब्दी असंगठित कामगार आ शिल्पकार सामजिक सुरक्षा योजना सेहो शुरू करबाक घोषणा भेल अछि। एकर संगहि जिला स्तर पर आपातकालीन रेफरल सेवा जयप्रभा जननी शिशु आरोग्य दिवस एक्सप्रेस बिहार दिवस 22 मार्च 2012 कए शुरू करबाक घोषणा कैल गेल अछि।

Comments

comments