औद्योगिक विकास मे हरियाणा पंजाब स आगू निकलल बिहार

नई दिल्ली । पैघ उद्योग क स्थापना मे बिहार कए भले पैघ उपलब्धि न हासिल हुए, मुदा सूक्ष्म, लघु आ मध्यम स्तर क इकाइ क स्थापना मे बिहार कईटा प्रगतिशील राज्य स आगू भ गेल अछि। एहि मामला मे त बिहार कृषि उत्पादन मे अव्वल पंजाब कए सेहो पछाडि़ देलक अछि। भारतीय लघु उद्योग विकास बैंक (सिडबी) क ताजा रिपोर्ट क अनुसार, सूक्ष्म-लघु आ मध्यम श्रेणी क उद्योग क स्थापना मे देश क 12 श्रेष्ठ प्रदर्शन वाला राज्य मे बिहार सेहो शामिल अछि। खासगप इ अछि जे रिपोर्ट मे ओकर स्थिति हरियाणा, पंजाब, पश्चिम बंगाल स बेहतर अछि। सिडबी क रिपोर्ट क मुताबिक, बिहार मे एहन पंजीकृत इकाइ क संख्या 52333 अछि, जे राष्ट्रीय हिस्सेदारी क 3.29 फीसदी अछि। एहि क्षेत्र मे सर्वाधिक हिस्सेदारी तमिलनाडु आ गुजरात क अछि। तमिलनाडु क 15.33 आ गुजरात क 15.07 प्रतिशत क हिस्सेदारी अछि। इ रिपोर्ट एहि इकाइ क चारिम राष्ट्रीय गणना (2007-07) पर आधारित अछि। तेसर गणना मे बिहार मे 52107 इकाई छल जे आब 52233 भ गेल। रिपोर्ट मे एहि गपक चर्चा अछि जे बैंक क बेहतर वित्तीय सहयोग क संग उद्योग क विकास क लेल अगर बिजली आ भूमि आवंटन जइसन बुनियादी सुविधा भेट जाए त बिहारक मे विकास क अपार संभावना अछि। इ सेहो उल्लेख अछि जे एहि बीच राज्य मे धड़ल्ले स इकाइ बंद सेहो भेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments