औद्योगिक क्षेत्र क जमीन लेल बनत नव नीति


पटना। बियाडा क अधीन औद्योगिक क्षेत्र मे उपलब्ध जमीन क प्रबंधन क लेल राज्य सरकार शीघ्र नव नीति बनाउत। उद्यमी आ कारोबारी क उद्यमी पंचायत मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहि आशय क संकेत देलथि। मुख्यमंत्री कहला जे अगिला उद्यमी पंचायत चारि माह बाद 10 जून कए होइत। उद्यमी पंचायत क संबंध मे औद्योगिक विकास आयुक्त अशोक कुमार सिन्हा कहला जे एहि मे कई मुद्दा पर कारोबारी अपन गप कहलाह। बियाडा क माध्यम स जमीन आवंटन क मामला सेहो उठल। एहि क्रम मे मुख्यमंत्री अपन संबोधन मे इ संकेत देलथि जे बियाडा क जमीन क प्रबंधन क दिशा मे सरकार शीघ्र नव नीति आनत। एहि बाबत कंसलटेंट क सेवा लेल गेल छल। कंसलटेंट अपन ड्राफ्ट रिपोर्ट द देलक अछि। ओकर आधार पर नब नीति तैयार भ रहल अछि। जमीन क कनवर्जन कए ल कए भ रहल दिक्कत दूर होएत। मुख्यमंत्री एहि संबंध मे राजस्व विभाग क अधिकारी कए प्रक्रिया सहज बनेबाक निर्देश देलथि। बैठक मे नव इलाका कए चयन करि इंडस्ट्रियल हब बनेबाकगप कहल गेल। इंट्री टैक्स क मामला उठबैत उद्यमी कहला जे प्लांट,मशीनरी आ कच्चा माल पर इंट्री टैक्स नहि लगबाक चाही। मुख्यमंत्री एहि पर समीक्षा क निर्देश देलथि। उद्यमी आ कारोबारी द्वारा उठाउन्ल गेल मसला पर मुख्य सचिव क अध्यक्षता मे एकटा कमेटी क गठन कैल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments