ओबामा क अतिथि बनताह बेगूसरायक इरफान

पटना। बेगूसराय जिला क इरफान सपना मे सेहो नहि सोचने छलाह जे हुनकर एकटा प्रयोग दुनिया क महाशक्ति कए एतबा प्रभावित करत जे हुनका स भेंट करबा लेल ओ निमंत्रण पठा देताह। बिहार मे रिक्शा क सूरत बदलनिहार इरफान आलम स अमेरिकी राष्ट्रपति बराक ओबामा भेंट करबा लेल आतुर छथि। इरफान साइकिल रिक्शा क रीडिजाइन करि जे सफलता हासिल केलथि अछि ओकर ओबामा सेहो कायल भ गेलथि अछि। इरफान पुद्दुचेरी स एमबीए केलथि आ एकर बाद आईआईएम-अहमदाबाद स मैनेजमेन्ट डेवलमेन्ट प्रोग्राम। एकर बाद दिल्ली स्कूल ऑफ आर्किटेक्चर आ आईआईटी कानपुर क छात्र क सहयोग स ओ साइकिल रिक्शा क सूरत सेहो बदलि देलथि।

एहन की अछि रिक्शा मे
इरफान क कंसेप्ट रिक्शा कए मल्टियूटिलिटी वाहन बनेबाक अछि। ओहि मे सीट बेल्ट, म्यूजिक, फस्र्ट एड क व्यवस्था क संग रिक्शा कए एहन रूप देल गेल अछि जे रिक्शा वाला कम पूंजी लगा कए एहि वाहन क सहारे रिचार्ज कूपन, मिनरल वॉटर, सॉफ्ट ड्रिंक, न्यूजपेपर वगैरह बेच सकें। बिहार क अलावा एनसीआर मे इ प्रोजेक्ट सफल रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments