ऑनलाइन भ रहल अछि निगम क 14टा सेवा

पटना । आब जन्म-मृत्यु प्रमाणपत्र बनेबा लेल आ बिल्डिंग प्लान क स्वीकृति लेल नगर निगम क चक्कर नहि लगेबाक अछि। इ सेवा बिहार मे ऑनलाइन देबाक काज शुरू भ रहल अछि। जवाहरलाल नेहरू राष्ट्रीय शहरी नवीकरण मिशन क तहत पटना नगर निगम मे इ-गवर्नेस पायलट परियोजना क रूप मे शुरू कैल जा रहल अछि। एकर तहत 14टा सेवा कए ऑनलाइन प्रदान करबाक काज चलि रहल अछि। नगर विकास आ आवास मंत्री प्रेम कुमार कहला अछि जे मिशन क राज्यस्तरीय कमेटी क बैठक मे आम नागरिकक सुविधा लेल इ-गवर्नेस क शुरुआत क निर्णय लेल गेल छल। बैठक मे खाद्य आ उपभोक्ता संरक्षण मंत्री श्याम रजक, सांसद शत्रुघ्न सिन्हा, विकास आयुक्त, नगर विकास आ आवास विभाग क प्रधान सचिव, पीएचइडी क प्रधान सचिव आदि उपस्थित छलाह। योजना क पहिल चरण मे पटना शहर अछि जखन कि द्वितीय चरण मे फुलवारीशरीफ, खगौल आ दानापुर नगर पर्षद आओर बोधगया नगर पंचायत मे इ सेवा शुरू कैल जाएत। एकर बाद राज्य क अन्य सबटा नगर निकाय मे एकरा लागू करि देल जाएत। एहि पर 31 करोड़ टका क खर्च आउत, जाहि मे केंद्र द्वारा 12.1 करोड़ आ शेष 19.11 करोड़ टका राज्य सरकार द्वारा स्पर क सहयोग स खर्च होएत। मंत्री कहला जे नगर निगम मे एक वर्ष क भीतर एहि योजना कए पूर्णत चालू करि देल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments