एहि साल बिहार सर्किल स वसूलल गेल 19 फीसदी बेसी लगान

सूदर्शन कुमार  
जयपुर । बिहार सर्किल अपन कर संग्रह मे एहि वित्तीय वर्ष मे 19 प्रतिशतक वृद्धि दर्ज केलक अछि। आयकर विभागक दावा अछि जे करीब 3.25 लाख नव करदाता सेहो एहि साल सूची मे शामिल भेलथि अछि। वित्त वर्ष 2017-18 लेल 13,200 करोड़ टकाक लक्ष्य राखल गेल छल। लक्ष्यक अनुरूप विभाग 7,075 करोड़ टकाक वसूली केलक अछि, जखन कि ढाई मास एखन बाकी अछि। प्रिंसिपल चीफ कमिश्नर आयकर (बिहार और झारखंड क्षेत्र), केसी घूमरिया कहलथि जे विभाग वित्तीय वर्ष मे 5.2 लाखक  निर्धारित नव लक्ष्य स 3.25 लाख वसूली पूरा क लेलक अछि। अगलिा दू मास मे हम सब लक्ष्य क करीब पहुंच जायब।
ओ कहला जे हमर विभाग लोक सब स ईमानदारी स करक भुगतान करबाक लेल अनुरोध क रहल अछि। अगिला दू मास मे नव कर दाता कए सूची मे जोडबा लेल प्रयास तेज कैल जायत। बिहार सर्किल मे एखन मात्र 15 लाख करदाता अछि।
ओ कहला जे विभाग बकाएदारक खिलाफ कठोर कार्रवाई करत। आई-टी डिपार्टमेंट एहि साल बकाएदारक खिलाफ  84टा मुकदमा दायर केलक अछि। किछु आओर लोक पर अभियोजन पक्ष दाखिल करवाक  प्रक्रिया मे अछि, जखन कि पिछला साल मात्रा 10 टा मुकदमा दर्ज भेल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments