एहि मोहल्‍ला कए आदर्श बनाउ

दरभंगा। दरभंगा क वाजिपुर कन्या प्राथमिक विद्यालय क भूमि पर कब्जा जमेबा लेल आयल मोहल्ला क एकटा दबंग कए मोहल्लावासी खदेड़ कए भगा देलक। स्कूल भूमि पर अवैध रूप स कब्जा जमेबा क मंशा लेने लोक भवन निर्माण लेल जहिना सामग्री स्कूल भूमि क समीप खसेलथि, मोहल्‍ला मे तनाव उत्पन्न भ गेल। धीरे-धीरे मोहल्लावासी इकट्ठा भ कए स्कूल क भूमि कए घेर लेलथि। दोसर दिस अतिक्रमणकारी सेहो हथियार स लैस छलाह। मुदा भीड़ देख हुनकर हिम्मत जवाब द देलक। स्कूल क प्रधानाध्यापिका गायत्री देवी कहलथि जे भूकंप मे स्कूल क भवन क्षतिग्रस्त भ गेल छल। तखन स स्कूल बगल क मंदिर परिसर मे चलि रहल अछि। भवन क्षतिग्रस्त भेलाक बाद ओकर अवशेष लोकसब उठाकए ल गेल। भूमि खाली भ गेल आ मैदान बनि गेल। पता नहि कोना किछु लोक एकरा हथियेबा क साजिश रचि देलथि अछि। एहि बीच, घटना क सूचना भेटलाक बाद नगर थाना क पुलिस सेहो पहुंचल। ओ दूनू पक्ष मे समझौता करेबाक प्रयास केलक मुदा मोहल्‍लाक लोक स्‍कूल क भूमि पर कोनो गप करबा लेल तैयार नहि भेलथि। अंत मे माहौल कए देखैत पुलिस तत्काल भूमि पर कोनो प्रकार क निर्माण पर सख्ती स रोक लगा देलक अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments