एहन भेदभाव केवल बिहार संग संभव अछि : नीतीश

पटना । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे केंद्र सरकार जेना बिहार क चाउर लेबा मे भेदभाव क रहल अछि एहन भेदभाव केवल बिहार क संग संभव अछि। विधानसभा मे एकटा सवाल क उत्‍तर दैत मुख्यमंत्री कहला जे अगर इ कहानी उत्तर प्रदेश बा पंजाब क रहिते त ओहि ठामक लोक दलगत भावना स ऊपर उठि कए एकजुट भ केंद्र पर दबाव बना दइतथि मुदा बिहार मे किसान लेल एहन एकजुटता देखबा लेल नहि भेट रहल अछि।
ओ कहला जे राज्य मे पैक्स क माध्यम स शुरू कैल गेल धान खरीद कार्यक्रम मे केंद्र दिस स लगातार भेदभाव भ रहल अछि। भारतीय खाद्य निगम (एफसीआई) दिस स तैयार कैल गेल चाउर कए तेजी स नहि लेल जा रहल अछि। मुख्यमंत्री कहला जे जेतबा तेजी स एफसीआई कए चाउर लेबाक चाही ओ नहि ल रहल अछि। इ बिहार संग भेदभाव अछि । बिहार क चाउर केंद्र कीनबा मे आनाकानी करैत रहल अछि। पिछला सालक चाउर सेहो एखन तक एफसीआई नहि कीनलक अछि। ओ एखन धरि अटकल अछि। नीतीश कहला जे 2012 मे बिहार किसान क धान क खरीद लेल एकटा तंत्र विकसित केने छल। एफसीआई कए ‘क्वालिटी कंट्रोलर जेतबा संख्या मे चाही, ओ नहि अछि। मुख्यमंत्री कहला जे हुनकर सरकार धान क कुटाई लेल मिल क व्यवस्था केलक । पहिने उत्तर प्रदेश आ पंजाब मे बिहार क धान क कुटाई होइत छल। नीतीश कहला जे सरकार चाहैत अछि जे किसान कए ओकर उत्पाद क न्यूनतम समर्थन मूल्य प्राप्त हुए ताहि लेल दलगत भावना स ऊपर भ केंद्र लग आवाज बुलंद करब जरूरी अछि। नेता प्रतिपक्ष अब्दुल बारी सिद्दिकी आरोप लगेलथि जे राज्‍य मे अनाज क भंडारण क समस्या अछि ताहि स भारी मात्रा मे अनाज सडि जा रहल अछि। ओ कहला जे अगर बिहार क संग भेदभाव भ रहल अछि त विपक्ष सेहो सरकारक संग अछि।
एहि पर खाद्य आ उपभोक्ता संरक्षण मंत्री श्याम रजक कहला जे 18 फरवरी तक बिहार राज्य खाद्य निगम द्वारा 15 लाख टन चाउर मे स एफसीआई कए 11 लाख टन तैयार चाएर उपलब्ध करा देल गेल छल। एफसीआई लग गुणवत्ता नियंत्रक सहित भंडारण क्षमता क अभाव अछि ताहि स तैयार चावउर कीनबा मे अपेक्षित गति नहि आबि रहल अछि। बेर बेर अनुरोध क बावजूद गति धीमा अछि। ओ कहला जे रबी विपणन वर्ष 2012-13 मे राज्य सरकार 5.16 लाख टन गेहूम क खरीद करबाक लक्ष्य रखने अछि एहि मे स 3.78 लाख मीट्रिक टन आवक क बाद एफसीआई कए उपलब्ध करा देल गेल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments