एस्सार पावर कए झटका, नहि भेटत पटना क फ्रेंचाइजी

पटना । बिहार राज्य विद्युत बोर्ड मुंबई क एस्सार पावर कए देल पटनाक फ्रेंचाइजी निरस्‍त क देलक अछि। संगहि 50 लाख टका क गारंटी मनी सेहो जब्त क लेलक अछि। एस्सार पावर अपन बिजली अनबाक शर्त पर अडल छल। जखनकि बोर्ड एकर अनुमति देबा लेल तैयार नहि भेल। एहि मसला पर बोर्ड आ एस्सार पावर प्रबंधन आमने-सामने आबि गेल छल। अंतत: बोर्ड ओकरा देल पटनाक फ्रेंचाइजी निरस्‍त क देलक अछि। बोर्ड आब नव सिरा स पटना, गया, मुजफ्फरपुर आओर भागलपुर क बिजली आपूर्ति व्यवस्था फ्रेंचाइजी पर देबाक तैयारी मे अछि। अगिला चरण मे पूर्णिया, दरभंगा सहित राज्य क कईटा शहर मे फ्रेंचाइजी व्यवस्था लागू कैल जाएत। एहि बेर भारत सरकार क ‘स्टैंडर्ड बिडिंग डाक्यूमेंट’ क आधार पर फ्रेंचाइजी देल जाएत। ज्ञात हुए जे भारत सरकार देश क सबटा बिजली बोर्ड लेल फ्रेंचाइजी माडल तैयार केलक अछि।
एहि संबंध मे एस्सार पावर क सीइओ सिद्धार्थ मेहता क आरोप अछि जे बिजली बोर्ड गलत ढंग स गारंटी मनी जब्त केलक अछि। ओ कहला जे बिहार मे बिजली क कमी अछि। एहि लेल हमसब अपन बिजली अनबाक विचार केलहुं। पर्याप्त बिजली नहि भेटला पर कंपनी कए उपभोक्ता क कोपभाजन बनब तय अछि। बिजली टैरिफ त बोर्ड तय करैत अछि। एहन मे बोर्ड कए हमर बिजली स की आपत्ति छल से पता नहि। हमसब त 24 घंटा फ्यूजकाल क व्यवस्था क संग अपन बिजली क आपूर्ति करए चाहैत छी। शर्त मे इ सेहो उल्लेख अछि जे बिजली क कमी भेला पर कंपनी बिजली उपलब्ध कराउत। हम पूरा बिजली देबाक इच्‍छा रखैत छी एहिना बोर्ड कए की परेशानी अछि? ओ कहला जे हम सब जनैत छी जे बिहार मे बिजली क मांग करीब 3000 मेगावाट अछि जखनकि उत्पादन एक मेगावाट तक नहि अछि। केन्द्रीय सेक्टर मे बिहारक हिस्सेदारी महज 1872 मेगावाट अछि जाहि मे स महज औसतन उपलब्ध बिजली 1100 मेगावाट होइत अछि। एहन मे बोर्ड आइ 500 मेगावाट खरीद रहल अछि। अगर एस्सार पावर अपन बिजली क संग अबैत अछि त बिहार राज्य विद्युत बोर्ड करीब 400 मेगावाट बिजली अन्य इलाका कए द सकत।
ज्ञात हुए जे बिहार मे बिजली संकट क निराकरण आ बोर्ड कए घाटा स उबारबा लेल बिहार राज्य विद्युत बोर्ड चारिटा शहरक बिजली आपूर्ति व्यवस्था कए फ्रेंचाइजी पर देबाक कवायद वर्ष 2009 स चलि रहल अछि। 2011 मे एस्सार पावर पटना आ मुजफ्फरपुर शहर क बिजली व्यवस्था कए फ्रेंचाइजी पर लेबा लेल निविदा देने छल।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments