एम्स द रहल अछि बिहार क डाक्टर कए प्रशिक्षण

पटना। अखिल भारतीय आयुर्विज्ञान संस्थान (एम्स) क चिकित्सक प्रदेश क डाक्टर कए उच्च तकनीक क प्रशिक्षण द रहल छथि। एकर शुरुआत राजेंद्रनगर आ राजवंशीनगर अस्पताल स भेल अछि। एहि दूनू अस्पताल कए क्रमशः नेत्र आ हड्डी रोग क सुपर स्पेशिलिटी अस्पताल मे विकसित कैल रहल अछि। स्वास्थ्य मंत्री अश्विनी कुमार चौबे राजेंद्रनगर अस्पताल क लेल 2.65 करोड़ क राशि मंजूर केलथि अछि। राजेंद्रनगर अस्पताल मे एम्स क नेत्र विशेषज्ञ डा.राजवघ्द्धन शर्मा आओर राजवंशीनगर अस्पताल मे एम्स क हड्डी रोग विशेषज्ञ डा.प्रकाश पी.कोतवाल पहुंचलाह अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments