एमयू मे जुटताह 70 यूनिवर्सिटी क स्कॉलर

Magadh-University_6795
– 21-23 जनवरी तक चलत कान्फ्रेंस
– तैयारी क लेल छह सदस्यीय कोर टीम क गठन

उज्जवल कुमार
पटना । रिसर्च स्कॉलक कुंभ क योजना तैयार अछि आ आब काउंट डाउन शुरू भ चुकल अछि।। मगध यूनिवर्सिटी देश क 70 यूनिवर्सिटीक 350 स बेसी रिसर्च स्कॉलर क स्वागत क लेल तैयार अछि। जनवरी मे मगध यूनिवर्सिटी, गया मे होइवाला ‘अन्वेषण 2010Ó क तैयारी शुरू भ गेल अछि। 21 स 23 जनवरी तक चलए वाला एहि कान्फ्रेंस मे पटना यूनिवर्सिटी सहित बिहार क सबटा यूनिवर्सिटी आ देश क कईटा अन्य यूनिवर्सिटी क रिसर्च स्कॉलर्स भाग लेताह। उत्तर-पूर्व क एहि सबस पैघे ‘स्कॉलर कान्फ्रेंसÓ क लेल मगध विश्वविद्यालय प्रशासन अपन तैयारी एक महीना पहिने पूरा करबाक दावा करि रहल अछि।
पांच विषयक क स्कॉलर पढ़ताह रिसर्च पेपर
अन्वेषण-2010 मे पांच विषयक स्कॉलर भाग लेताह। एहिमे बेसिक साइंस, मेडिकल साइंस, सोशल साइंस, एग्रीकल्चर आ लॉ क स्कॉलर भाग लेताह। सब यूनिवर्सिटी स सब विषय क स्कॉलर कए अपन रिसर्च पेपर प्रस्तुत करबाक मौका देल जाइत। एहि कान्फ्रेंस क पूरा आयोजन क लेल एमयू प्रबंधन एकटा छह सदस्यीय कोर टीम क निर्माण केलक अछि । एहि टीम मे प्रो सुशील कुमार सिंह, प्रो इस्रायल खान, प्रो केबी शर्मा, प्रो एसएमआर खान, प्रो नंदजी कुमार आ प्रो एसएनपी चेरियार शामिल अछि।

”अन्वेषण-2010 एकटा पैघ आयोजन अछि आ हम एकरा सफल बनेबा क पूरा प्रबंध करि रहल छी। सब तैयारी तय सीमा स पहिने पूरा भ जाइत।”
प्रो आरके वर्मा,
सीसीडीसी, मगध यूनिवर्सिटी

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments