एना त बनि गेल राहुल बाबू अहांक कांग्रेस

पटना। राहुल गांधी बिहार मे कांग्रेसक छवि आ संस्कार दूनू बदलबा लेल प्रयासरत छथि, मुदा बिहारक कांग्रेसी एक-एक करि हुनकर सपना तोड़बाक कोनो अवसर नहि छोड़ैत छथि। शुक्रदिन पटना मे बिहार कांग्रेस क सम्मेलन मे जमकए बवाल भेल। राज्य सम्मेलन क दौरान पार्टी क अंदरूनी कलह खुलिकए सामने आबि गेल। नारेबाजी संग-संग धक्का-मुक्की सेहो भेल। खासगप इ रहल जे एहि हंगामा मे आपराधिक छविवाला कए पार्टी मे शामिल करबाक विरोध करनिहनर कांग्रेसी कार्यकर्ता कए धक्का द सम्मेलन स भगा देलथि।
हंगामा पार्टी क नेता रंजीता रंजन क भाषण कए लकए भेल। असल मे पार्टी मे प्रदेश अध्यक्ष अनिल शर्मा कए लकए किछु असंतुष्ट मुहिम चला रहल छथि। जेकरा आन दल स पिछला साल कांगेस मे शामिल भेल किछु नेता पाछु स समर्थन द रहल छथि। एहने मे रंजीता रंजन एकटा मिलन समारोह क आयोजन केने छलीह। ओहि मे हुनकर पति पप्पू यादव क फोटो लागल छल। अनिल शर्मा क कहब छल जे पार्टी मे आपराधिक छवि क लोकक लेल कोनो जगह नहि अछि आ रंजीता रंजन मंच स एकर विरोध करि देलथि। एकर बाद हंगामा शुरू भ गेल। देखैत-देखैत कांग्रेसक बचल-खुचल इज्जत सेहो चल गेल। सवाल उठैत अछि एक दिस राहुल गांधी पार्टी आ राजनीति मे नीक लोककए अनबा लेल प्रयास कए रहल छथि त दोसर दिस बिहार मे पार्टीक प्रभारी आपराधिक छविक लोक कए पार्टी मे शामिल करबा लेल समर्मित कांग्रस कार्यकर्ता कए धकिया रहल छथि। एहन मे कांग्रेस अपन कोन छवि ल कए जनता तक जाएत आ कए अपना कए कांग्रेसी कहबा मे गर्व महसूस करत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments