एनएचएआई बिहारक दूटा सडक बनेबाक प्रक्रिया शुरू केलक

नई दिल्ली । अपन कामकाज क लेल आलोचना झेल रहल राष्ट्रीय राजमार्ग प्राधिकरण (एनएचएआई) मे फेर स काज क सुगबुगाहट देखबा मे आबि रहल अछि। पिछला माह इ 870 करोड़ टकाक दूटा परियोजना क ठेका तय केलक संगहि 5169 करोड़ टका क बोली सेहो प्राप्त केलक अछि। जुलाई 2010 मे इ दूटा परियोजना लेल अवार्ड लेलक। एही मे राष्ट्रीय राजमार्ग संख्या 4ए पर गोवा कर्नाटक बार्डर स बेलगांव तक क सड़क आ एनएच 77 पर मुजफ्फरपुर स सोनबरसा तक क हिस्सा शामिल अछि। एनएच 77 पर मुजफ्फरपुर स सोनबरसा तक क 82.08 किलोमीटर सड़क क परियोजना लागत 511.54 करोड़ टका तय कैल गेल अछि। एहि माह एनएचएआई 5169.08 करोड़ टकाक 11टा परियोजना लेल सेहो बोली प्राप्त केलक अछि। जाहि मे पटना स बख्तियारपुर लेल सेहो बोली लगबाक खबरि अछि। उम्मीद अछि जे अगिला माह तक एहि स संबंधित सबटा प्रक्रिया पूरा भ जाएत। एहि दौरान किछु आओर परियोजना लेल बोली आमंत्रित कैल गेल अछि जाहि मे रांची स जमशेदपुर शामिल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments