एडीबी क सहायता स बनत 1880 किमी सड़क

पटना। पथ निर्माण मंत्री प्रेम कुमार विधानसभा मे कहला जे एशियन डेवलपमेंट बैंक (एडीबी) क सहायता स प्रदेश मे 1880 किमी सड़क क सुदृढ़ीकरण आ चौड़ीकरण कैल जाएत। मंत्री कहला जे 1315 किमी राज्यपथ क निर्माण पूरा कैल जा चुकल अछि आ राष्ट्रीय उच्च पथ पर राज्य सरकार एखनधरि 711.97 करोड़ खर्च केलक अछि। मंत्री कहला जे एडीबी क सहायता स प्रथम चरण मे 1880 किमी मे स 820 किमी सड़क पर काज कराउल जा रहा अछि। बिहटा-सरमेरा राज्य पथ संख्या-78 पर 21 मार्च स काज शुरू भ रहल अछि। सरैया-मोतीपुर राज्यपथ संख्या 86 क लेल निविदा निकालल जा रहल अछि। ओ कहला जे फरवरी 2010 तक 1315 किमी राज्य उच्च पथ क निर्माण भ चुकल अछि। पिछला चारि वर्ष मे 612 करोड़ क लागत स 1545 किमी राष्ट्रीय उच्च पथ क रख-रखाव क काज पूरा कैल जा चुकल अछि। प्रेम कुमार कहला जे मुख्यमंत्री सेतु निर्माण योजना क तहत 1505 पुल क निर्माण कराउल जा चुकल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments