एक सितंबर स भेटत माध्यमिक शिक्षक पात्रता परीक्षा क फार्म

पटना। माध्यमिक शिक्षक पात्रता परीक्षा क ओएमआर आवेदन पत्र आ सूचना बुलेटिन एक सितंबर स जिला वितरण केंद्र सब पर क्रय लेल उपलब्ध करा देल जाएत। पात्रता परीक्षा क निश्चित तिथि तय नहि भेल अछि मुदा इ नवंबर मास क अंतिम सप्ताह मे होएत। परीक्षा क आयोजन बिहार विद्यालय परीक्षा समिति करि रहल अछि। 12 लाख आवेदन पत्र मुद्रित भ चुकल अछि। मानव संसाधन विकास विभाग क प्रधान सचिव अंजनी कुमार सिंह कहला जे एक सितंबर स 9 सितंबर तक आवेदन पत्रक बिक्री होएत। भरल गेल ओएमआर आवेदन पत्र 12 सितंबर स 20 सितंबर तक जिला आ अनुमंडल मुख्यालय पर जमा कैल जा सकैत अछि। तय प्रक्रिया क मुताबिक बिहार विद्यालय परीक्षा समिति 25 अगस्त स जिला मुख्यालय कए सूचना बुलेटिन आ ओएमआर आवेदन पत्र उपलब्ध करायब शुरू करत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments