एक बेर फेर देश स आगू बिहार

पटना । विकासक पथ पर बिहार एक बेर फेर देश कए पाछु छोडि देलक अछि। बाढ़ आओर सूखार क दोहरी मारि झेलबाक बावजूद बिहार क विकास दर राष्ट्रीय औसत दर स आगू अछि। चालू वित्तीय वर्ष क प्रारंभिक आंकडां मे प्रदेश क विकास दर 10.49 फीसदी अछि, जखनकि देश क 8.6 प्रतिशत अछि। राज्य क योजना आकार कए लेल योजना आयोग क संग बैठक मे हिस्सा लेबा लेल  दिल्ली रवाना हेबा स पूर्व पूर्व उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहला जे इ प्रारंभिक आंकड़ा अछि। इ दिसम्बर तक क स्थिति आ जनवरी स मार्च तक क अनुमानित विकास दर क आधार पर अछि। केन्द्रीय सांख्यिकी संगठन एहि आशय क सूचना देलक अछि। उपमुख्यमंत्री कहला जे विभिन्न प्रक्षेत्र मे भ रहल काज क नतीजा अछि जे पिछला तीन साल स लगातार बिहार क विकास दर राष्ट्रीय विकास दर क औसत स आगू चलि रहल अछि। 2009-10 मे बिहार क विकास दर 8.56 फीसदी छल, त राष्ट्रीय औसत 8 फीसदी। एहिना 2008-09 मे सूबा क विकास दर 13.06 छल त देश क विकास दर 6.5 फीसदी। एहि साल क विकास दर 2004-05 क स्थिर मूल्य पर आधारित अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. मैथिली मे ई “फिसदी” शब्द पहिल बेर सुनि रहल छी ……………. प्रायः एकर माने “प्रतिशत” होइ छै की ???

Comments are closed.